old_man_sitting_alone

चित्र साभार - अनस्प्लैश

माधव, जीवन भेल व्यर्थ व्यतीत

बहु-विकल्प, विषय, व्यसन में

डूबल अछि हमर अतीत

जीवन भेल व्यर्थ व्यतीत ॥


नेह-बन्ध के मोह प्रबलता

आकर्षण रस रसनाक सबलता

मेटलक सभ सत्य प्रतीति

जीवन भेल व्यर्थ व्यतीत ॥


ओझल मन सं रहल मायावश

भजनानन्दक दिव्य अमृतरस

प्रभु चरण सं भेल नहिं प्रीत

जीवन भेल व्यर्थ व्यतीत ॥


वरण नहिं कएल प्रभु के आनंद

चिन्मय निर्झरणी परमानंद

रहल विरत जीवन संगीत

जीवन भेल व्यर्थ व्यतीत ॥


old_man_sitting_alone_2

चित्र साभार - अनस्प्लैश